माओवादी समर्थित कार्यकर्ता राजाराम झाक जनकपुरक भ्रमरपुरा चौकमे मृत्यु भेला बाद आन्दोलित भेल ३० दलिय मोर्चा अनिश्चितकालिन जनकपुर बन्दक घोषणा कएलक अछि ।
आन्दोलनकारी सभ पुलिस झाके मारने आरोप लगबैत मृतकके शहीद घोषणा, पीडित परिवारके क्षतिपूर्ति आ गृहमन्त्री बामदेव गौतमके राजिनामाक माँग कएलक अछि । बन्दकर्तासभ आइ दिन भरि जनकपुर नगरमे प्रदर्शन कएलक अछि । पुलिस बन्दकर्ताके मारने आरोप लगबैत स्थानीय प्रशासन आ सरकार विरुद्ध आक्रामक नारावाजी कएने छल ।
एमहर पुलिस भ्रमरपुरा चौकमे वेहोस भेल झाके जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे लऽ जाइत काल मृत्यु भेल बतौलक अछि । धनुषाक पुलिस उपरीक्षक गणेश वहादुर थापा एक प्रेस विज्ञप्ति जारी कऽ पुलिस मारने भ्रामक बात फैलाबएके काज भऽ रहला सँ ओहि दिस नहि लागए सभ सँ अनुरोध कएलन्हि अछि ।