Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
२७ बैंक रोकलक एनआईसी एसियासँगक कारोबार – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > आर्थिक > २७ बैंक रोकलक एनआईसी एसियासँगक कारोबार

२७ बैंक रोकलक एनआईसी एसियासँगक कारोबार

काठमाण्डू, फागुन २५ ।
२७ टा बाणिज्य बैंक एनआईसी एसिया बैंकसँगक बैकिङ सम्बन्ध ‘बिच्छेद’ कएलक अछि । बचत आ मुद्धति निक्षेपमे ग्राहकके देल जाएबला ब्याजदरमे सीमा सँ अधिक देने कहैत बैंकर्स संघमे आवद्ध बैंकसभ अन्तर बैंक वित्तीय कारोबार बन्द कएने अछि । बैंकर्स संघ एनआइसी एसिया बैंकसँग तत्काल कोनो कारोबार नहि करबाक निर्णय कएने अछि । एनआईसी एसिया ब्याजदर नहि बढएबाक प्रतिवद्धता कार्यान्वयन नहि कएने कहैत संघ एहन ‘एक्सन’ लेने अछि । शुक्रदिन आकस्मिक रुपमे बैसल संघके बैठक एनआईसी एसियासँग कोनो प्रकारक अन्तर बैंक कारोबार नहि करबाक निर्णय कएने अध्यक्ष ज्ञानेन्द्र ढुंगाना जानकारी देलन्हि ।
गत शुक्रदिन संघमे आवद्ध बैंकसभ बचत खातामे ८ आ एक वर्षक मुद्धतिमे ११ प्रतिशतसँ अधिक ब्याजदर कायम नहि करबाक सहमति कएने छल । सहमति कएलाकबाद तत्काले एनआईसी एसिया बैंक बचतके ब्याजदर ८ प्रतिशतमे पुगओने छल । मुदा, बृह्सपतिदिन फेर एनआईसी, बचतके ब्याज १० प्रतिशत आ मुद्धतिमे १२ प्रतिशत ब्याज देबाक निर्णय कएने छल । ओहि अनुसार सूचना सार्वजनिक भेलाकबाद बैंकर्स संघ शुक्रदिन भोर बैंकके ब्याजदर बढएबाक निर्णय उपर समीक्षा करएलेल बैठक बजओने छल ।
एनआईसीके सञ्चालक समिति ब्याजदर बढएबाक निर्णय कएलाकबाद बैंकके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत लक्ष्मण रिसाल राजीनामे देने छलथि । ओ बैंकर्स संघमे कएने प्रतिवद्धता विपरीत बोर्डक निर्णय अएलाकबाद नैतिकताके कारण देखबैत राजीनामा देने बुझबामे आएल अछि ।
‘एनआईसी एसिया बैंकके पछिला गतिविधिसँ बैंकिङ क्षेत्रमे सिस्टमेटिक रिस्क अनबाक देखलगेलासँ तत्कालक लेल इन्टर बैंक ट्रान्ज्याक्सन बन्द करबाक निर्णयमे पुगल छी,’ अध्यक्ष ढुंगाना कहलन्हि,’बैंकमे सीईओ सेहो राजीनामा देलाकबाद बैंकिङ प्रणालीमे जोखिम देखलगेलाकबाद एनआईसीसँगक कारोबार बन्द कएने छी ।’ एहि विषयमे थप छलफल करए बैंकर्स संघ रविदिन सेहो बैठक बजओने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *