Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
सहिद परिवारके सम्मान करैत सहिद सप्ताह सम्पन्न – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > सहिद परिवारके सम्मान करैत सहिद सप्ताह सम्पन्न

सहिद परिवारके सम्मान करैत सहिद सप्ताह सम्पन्न

जनकपुरधाम, फागुन २१
बिगत एक महिनासँ जारी सहिद सप्ताह सहिद परिवारके सम्मान कार्यक्रम करैत सम्पन्न भेल अछि । सोमदिन जनकपुर स्थित पार्टी कार्यालयमे समापनके अन्तिम दिन नेकपा माओवादी केन्द्र धनुषाद्धारा आयोजित कार्यक्रमके सम्बोधन करैत सचिबालय सदस्य महादेव यादव बलिदान आ सहिदक कारणसँ माओवादि उठओने एजेन्डा सङ्घिय, गणतन्त्र, समावेश, ससमानुपातिक सहितक मुद्दासभ पूरा भेल बतओलन्हि अछि ।
सहिद परिवारके सम्मान करैत ओ क्रान्तिके लेल समय आ परिस्थिती अनुकुलतामे नहि हएबाक कहैत ओ कहलन्हि पँुजिवादके बिकासक लेल एखनेसँ जनमुखि कार्यक्रमसभसँ अपन लक्ष्ण तर्फ अग्रसर होबए पडत बतओलन्हि ।
कार्यक्रममे जनयुद्धकालमे सहादत देने १ सय ५ गोटे शहिद परिवारके प्रमुख अतिथी सचिबालय सदस्य महादेव यादव दोसल्ला ओढा कऽ सम्मान कएने छलथि । कार्यक्रमके अध्यक्षता शहिद परिवार शिला यादव कएने छलीह तऽ श्रीलाल महासेठ, विमल साह, अनिल पासमान सहितकके उपस्थिति छल ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *