Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
संविधानसभाकेँ खारेजक माँग करैत नेकपा–माओवादी द्वारा मिथिला राज्यकेँ बन्दक आह्वान – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राजनीति > संविधानसभाकेँ खारेजक माँग करैत नेकपा–माओवादी द्वारा मिथिला राज्यकेँ बन्दक आह्वान

संविधानसभाकेँ खारेजक माँग करैत नेकपा–माओवादी द्वारा मिथिला राज्यकेँ बन्दक आह्वान

जनकपुर | दोसर बेर भेल संविधानसभाकेँ खारेजक माँग करैत नेकपा–माओवादी पुस २५ गतेकेँ मिथिला राज्यकेँ बन्दक आह्वान कएलक अछि । नेकपा–माओवादी धनुषाक जिल्ला सेक्रेट्ररी श्यामकुमार यादवद्वारा हस्ताक्षरित विज्ञप्तिमे उल्लेख भेल अनुसार– अधिकार सम्पन्न सर्वपक्षीय राजनीतिक सभाकेँ आयोजनकेँ कऽ जनताक संघिय गणतन्त्र आधारित जातीय तथा क्षेत्रीय पहिचान सहितक स्वायत्त प्रदेशसभक स्थापनाक माँग करैत बन्दक आह्वान कएल गेल अछि ।

जारी विज्ञप्तिमे जनाओल गेल अनुसार स्वायत्त प्रदेशसभ स्थापना कऽ मधेशी लगायतकेँ सब उत्पीडित वर्ग तथा समुदायकेँ राज्यकेँ सब अंगसभमे पूर्ण समानुपातिक प्रतिनिधित्व, राष्ट्रिय स्वाधिन्ता तथा सार्वभौमिकताक रक्षाक लेल जनपक्षिय संविधान निर्माण, जनजिविका सम्बन्धि महंगी, भ्रष्टाचार, तस्करी, कमशिन खोरी, कालाबजारीया, कृत्रिम, ग्यास अभावक समस्या कारणे बन्दक आह्वान कएने जिल्ला सेक्रेट्ररी यादवद्वरा हस्ताक्षरित विज्ञप्तिमे जनाओल गेल अछि ।
मिथिला क्षेत्र अन्तर्गत धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, सप्तरी आ सिरहा सहितक जिल्लासभ रहल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *