Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन फागुन ३० गते – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राजनीति > राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन फागुन ३० गते

राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन फागुन ३० गते

काठमाण्डू, फागुन २२ ।
आगामी फागुन ३० गते बुधदिन राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन होबए जा रहल अछि । राष्ट्रियसभाक जेष्ठ सदस्य तारादेवी भट्ट फागुन ३० गते राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन हएबाक जानकारी देली अछि । मंगलदिन बैसल राष्ट्रियसभाक बैसारमे ओ राष्ट्रियसभाक अन्तरिम कार्यविधि २०७४ के दफा ६ के उपदफा १ अनुसार ३० गते बुधदिन १ बजे राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचन तय भेल बतओली अछि ।
जेष्ठ सदस्य भट्ट राष्ट्रियसभा अध्यक्षके निर्वाचनक कार्यतालिका सार्वजनिक करबालेल सेहो संघीय संसद सचिवालयके महासचिव मनोहरप्रसाद भट्टराईके निर्देशन देलन्हि । तहिना बैठक राष्ट्रियसभा नियमावली मस्यौदा समिति सेहो गठन कएने अछि । ९ सदस्यीय मस्यौदा समिति पारित करबाक प्रस्ताव सर्वसम्मतिसँ पारित कएलगेल अछि । एमाले सांसद खिमलाल भट्टराई नियमावली मस्यौदा समिति गठन करबालेल रखने प्रस्ताव सर्वसम्मतिसँ पारित भेल अछि ।
समितिमे गणेशप्रसाद तिमिल्सिना, परशुराम मेघी गुरुङ, दिलकुमारी रावल, सुरेन्द्रराज पाण्डे, राधेश्याम अधिकारी, दिनानाथ शर्मा, जीवन बुढा, बृशेषचन्द्र लाल आ प्रमिला कुमारी सदस्य रहल छथि । संविधानक धारा १ सय ४ के उपधारा १ अनुसार राष्ट्रियसभा संचालन करए, बैसारके सुब्यवस्था कायम करए आ समितिसभके गठन, कामकार्वाही संचालन करबालेल नियमावली मस्यौदा समिति गठन करबाक व्यवस्था कएलगेल अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *