Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
रामजानकी विवाहपंचमी महोत्सवः फूलबारी लीला संपन्न – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > रामजानकी विवाहपंचमी महोत्सवः फूलबारी लीला संपन्न

रामजानकी विवाहपंचमी महोत्सवः फूलबारी लीला संपन्न

fulbari-lila

प्राचीन मिथिलादेशक राजधानी एवं वर्तमान नेपालक मधेश-मिथिलाक राजधानी तथा हिन्दू धर्मावलम्बीक आस्थाकेन्द्र जनकपुर मे आयोजित सप्ताहव्यापी रामजानकी विवाह पञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत शनि दिन फूलबारी लीला सम्पन्न भेल अछि ।

fulbari-lila1
भगवान् श्रीराम आर जगज्जननी सीता जी केर पहिल मिलन जनकपुरक ओहि फूलबारी मे भेल जतय आइ एकटा अत्यन्त रमणीय स्मारक-स्थल आर रमणीय बगीचा सहितक स्थल जानकी मन्दिरक बगले मे अवस्थित अछि। राम आर लक्ष्मण जखन गुरु विश्वामित्र सँ आदेश लय नगर भ्रमण लेल निकललाह तखनहि एहि फूलबारी मे जानकी जी सखी सभक संग फूल तोड़य लेल आयल छलीह आ दुनू गोटा केँ देखादेखी होइते आँखि चारि यानि प्रथम प्रेम होयबाक बात कवि लोकनि रामायण मे गान करैत छथि।

निश्चित रूप सँ एहि महोत्सव केर एकटा प्रमुख अंग राम-जानकीक प्रथम भेंट यानि फूलवारी लीला केँ मानल जाएछ। एहि फूलबारी लीलाक आयोजना ओहि तर्ज पर होइत आबि रहल अछि जेना राम आर जानकी केँ देखादेखी पहिल बेर भेल छलन्हि।

fulbari-lila2-300x180जनकपुरक विवाहमण्डप मे राम आर सीताक मानव स्वरुप दैत त्रेतायुग मे जाहि तरहें भेंट भेल छल ताहि तरहें लीलाक स्वरुप देल गेल छल। विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत काल्हि नगरदर्शन सम्पन्न भेल छल। रवि दिन (आइ) धनुष यज्ञ होयत से जानकारी प्राप्त भेल अछि।

फूलबारी लीला मे विश्वामित्र, वशिष्ट गुरु सभक लीला दर्शन करबाक लेल विवाहमण्डप साइड मे पैघ संख्या मे श्रद्धालु भक्तजनक सहभागिता देखल गेल छल।

सप्ताहव्यापी विवाहपञ्चमी महोत्सवक मद्देनजर करैत जनकपुरक यूवा, समाजिक संघ-संस्था, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, नेपाली सेना लगायत युवा कमिटीक संयुक्त अगुवाइ मे मठ-मन्दिर सभक सर-सफाई सेहो कएल गेल छल।

विगत चारि मास सँ मधेस मे संविधान प्रति असंतुष्टिकआन्दोलनक कारण रामजानकी विवाह महोत्सव किछु प्रभावित भेल अछि। तहिना विवाहपञ्चमी केँ ध्यान मे राखि जानकी मन्दिर केँ सेहो विशेष रूप सँ सवाजट कैल गेल अछि। मन्दिरक छोटे महन्थ रामरोशन दास वैष्णव बतौलन्हि जे हरेक कार्य सुनियंत्रित ढंग सँ परंपराक अनुसार संपन्न कैल जायत। श्रद्धालू भक्तगण सबहक रहबाक ठौर-ठेगाना सेहो समुचित रेखदेख मे संपन्न कैल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *