Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
राजपाद्धारा मधेश जिल्लासभमे विरोध प्रदर्शन करैत मोटरसाइकल रैली – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > राजपाद्धारा मधेश जिल्लासभमे विरोध प्रदर्शन करैत मोटरसाइकल रैली

राजपाद्धारा मधेश जिल्लासभमे विरोध प्रदर्शन करैत मोटरसाइकल रैली

६ टा मधेश केन्द्रीत दल एकीकृत भऽ कऽ गठन भेल राष्ट्रिय जनता पार्टी(राजपा) नेपाल जनकपुर सहित मधेश जिल्लासभमे विरोध प्रदर्शन करैत मोटरसाइकल रैली निकाललक अछि । पार्टीक केन्द्रीय कार्यक्रम अनुसार राजपा नेपाल सोमदिन जनकपुर सहित मधेशक जिल्ला सभमे मोटरसाइकल जुलुस प्रदर्शन कएलक अछि । राजपा एहिसँ पहिने शुक्रदिन जिल्लाक सदरमुकामसभमे विरोध प्रदर्शन कएने छल । जनकपुरक जनक चौकसँ निकलल मोटरसाइलक जुलुस राम चौक, जानकी चौक, भानु चौक सहित नगरक विभिन्न भागके परिक्रमा कएने छल । एहिबीच राजपा नेपालक कार्यकर्तासभ धनुषाक महेन्द्रनगर आ यदुकुहामे सेहो मोटरसाइकल रैली निकालने छल । स्थानीय तहके पहिल चरणके निर्वाचन सफलतापूर्वक समपन्न भेल लगले मधेश केन्द्रित दलसभ संविधान संशोधनके माँग रखैत विरोधके कार्यक्रमसभ सुरु कएलक अछि । ३१ वैशाखमे सम्पन्न निर्वाचनके मत परिणाम सार्वजनिक भऽ रहल समय पर्साके ५ ओ निर्वाचन क्षेत्रमे संविधान संशोधनके माँग करैत विरोध प्रदर्शन भेल अछि ।

राजपा नेपालके नेता कार्यकर्तासभ वीरगञ्जमे मोटरसाईकल रैली निकालने अछि । सरकार दोसर तहके निर्वाचन जेष्ठ ३१ गते तय कएने अछि । एहिबीच राजपा नेपालक नेतासभ संविधान संशोधनविना बाँकी प्रदेशमे निर्वाचन होबए नहि देबएके बताबि रहल अछि ।

राजपा संविधान संशोधन बिना होबएबला स्थानीय तहक निर्वाचनके विरोध करैत आबि रहल अछि । गत १७ गते संविधान संशोधन प्रक्रिया आगु बढएबाक सहमति कएने सरकार सहमतिसँ पाछु हटल कहैत राजपा नेपाल दु दिनक विरोधक कार्यक्रम घोषणा कएने छल । जेठ ४ गते बैसएबला व्यवस्थापिका संसदके बैसारसँ संविधान संशोधन नहि कएलगेल तऽ राजपा नेपाल आगामी चरणक आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा करबाक चेतावनी देने अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *