Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
मैथिल जनमानस द्वारा दिल्ली मे सरस्वती पूजनोत्सव – Century Times | Maithili Version
Tuesday, September 4, 2018
Home > राष्ट्रिय > मैथिल जनमानस द्वारा दिल्ली मे सरस्वती पूजनोत्सव

मैथिल जनमानस द्वारा दिल्ली मे सरस्वती पूजनोत्सव

manish-bauwabhai-1-300x200

मिथिलाक लोक लेल विद्याधनक प्रधानता सर्वविदिते अछि। विद्याक देवी सरस्वती केर आराधना ओनाहू लोक नित्य एहिठाम करैत छथि। तखन तऽ आब माघ पंचमीक खास दिन माँ शारदेक विशेष पूजनोत्सव सेहो नजदीक आबि गेल अछि। दिल्ली स्थित विद्यापति मैथिल युवा मंच – विनोद नगर द्वारा एहि बेर चौदहम वर्ष सरस्वती पूजा महोत्सवक तैयारी जोर-शोर सँ कैल जा रहल अछि।

संस्थाक कार्यकर्ता लोकनि उक्त पूजाक सफल आयोजन हेतु दू मास पूर्वहि स’ तन-मन-धनक संग समर्पित आ देल गेल कार्यभारक निष्पादन सम्पूर्ण निष्ठा स’ करैत आबि रहल छथि। संस्था द्वारा प्रत्येक बर्ख नव-नव प्रयोगक क्रममे एहि बेरुक पूजाक सुअवसर पर सांस्कृतिक संध्या राखल गेल अछि। एहि मे प्रतिभागी छात्र-छात्राकेँ मंच पर उतारबाक नियार कैल गेल अछि। प्रतिभासंपन्न मैथिल जनमानस केर बाल्यावस्था सँ मंचीय प्रस्तुतिक तालिम देबाक सेहो परंपरा आदिकाल सँ रहल अछि। रंगकर्म केँ सेहो विद्याक एकटा स्थापित विधा मानल जाएत रहल अछि। परंपरागत रूप मे मिथिलाक गाम-गाम मे सेहो विशेष अवसर पर गामहि केर लोक द्वारा विभिन्न प्रकारक प्रस्तुति सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम काएल जाएत अछि।

ज्ञात हो जे संस्था द्वारा विगत कत्तेको बर्ख स’ स्थानीय (मैथिल ओ अमैथिल दुन्नू) बच्चाक बीच प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, नृत्य ओ संगीत प्रतियोगिताक आयोजन कराओल जाएत रहल अछि। एक मास पूर्व स’ छात्र पंजीकरण फॉर्म वितरण कैल जाएछ। एहि बेर करीब एक हज्जार प्रतियोगीक सहभागिता आ हुनक अभिभावकक सहयोग एकर रूपरेखा केँ आरो मजबूती द’ रहला अछि। पूजा दिनक अस्त-व्यस्त समय सारणी केँ धेआन में राखि पूर्व-चयन प्रक्रियाक आयोजन कैल जेबाक जानकारी सेहो मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी कराओल गेल अछि।

प्राप्त जानकारी अनुसार संस्था द्वारा आयोजित विभिन्न कार्यक्रमक विवरण निम्न अछि।

पहिल दिनक पूर्व चयन दिनांक-२४ जनवरी २०१६ केँ संस्था संचालित शिक्षा केंद्र (वी.एम.वाइ.एम. एकेडमी) पर राखल गेल जकर विवरण एहि प्रकारे अछि:

प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिता

चयन समिति : भरत झा, पशुपति नाथ झा,सरोज चौधरी आ संतोष चौधरी

कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : ११०

कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : १२०

प्रश्न संख्या : ३०/ प्रत्येक प्रश्नक मान समान

प्रश्न प्रारूप : संख्या १ स’ २५ वैकल्पिक एवं २६ स’ ३० रिक्त स्थान पूर्ति

समय सीमा : अधिकतम ४० मिनट

उपरोक्त प्रतियोगी मे स’ १२ टा जूनियर आर १२ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक मौखिक जाँच मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ छ’-छ’ टा प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत।

दोसर दिनक पूर्व चयन दिनांक-३१ जनवरी २०१६ क’ पूर्वी दिल्ली नगर निगम प्रतिभा बाल/बालिका विद्यालय,मंडावलीक मनोरंजन गृह मे राखल गेल जकर विवरण एहि प्रकारे अछि।

गायन प्रतियोगिता

निर्णायक : दीपक ठाकुर आ राजीव रंजन झा (रॉकस्टार)

कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : ७५

कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : ८०

उपरोक्त प्रतियोगी में स’ ३ टा जूनियर आर ३ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक अंतिम चयन मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ प्रथम,द्वितीय आ तृतीय स्थानक प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत।

नृत्य प्रतियोगिता

निर्णायिक : पुष्पा झा आ कोमल सिंह

कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : १४०

कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : १२५

उपरोक्त प्रतियोगी में स’ ७ टा जूनियर आर ७ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक अंतिम चयन मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थानक प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत।

चित्रकला प्रतियोगिता

एहि मे आवेदित कुल छात्र/छात्राक सहभागिता ओ अंतिम निर्णय पूजा पंडाल परिसर मे हएत।

कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : १६०

कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)

कुल आवेदित फॉर्म : १५५

छायाचित्र नीचा देल गेल लिंक स’ अपन स्वेच्छानुसार ल’ लेल जाउ आ तदनुरूप सम्पादकीय दृष्टिकोण रखैत प्रविष्ट कएल जाउ।

समस्त सहभागी प्रतियोगी सहित आयोजनकर्ता केँ मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सफलताक शुभकामना अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *