Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
मिथिलाक प्रसिद्ध विद्वत् गाम नागदह मे विद्यापति स्मृति – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > मिथिलाक प्रसिद्ध विद्वत् गाम नागदह मे विद्यापति स्मृति

मिथिलाक प्रसिद्ध विद्वत् गाम नागदह मे विद्यापति स्मृति

nagdah-300x200
दिनांक १२ दिसम्बर २०१५ साँझ ३ बजे सँ विद्यापति समारोहक आयोजन मिथिलाक एक प्रसिद्ध विद्वत् गाम “नागदह” मे मध्य विद्यालयक प्रांगण लंग मनायल जा रहल अछि।

एहि कार्यक्रम केर उदघाटन मुख्य अतिथि भूतपूर्व बेनीपट्टी विधायक विनोद नारायण झा एवं विधान पार्षद श्री सुमन महासेठ द्वारा कैल गेल। संगहि एहि कार्यक्रम मे मिथिलाक प्रसिद्ध गायक कुञ्जबिहारी मिश्र केर विशेष सहभागिता भेल अछि।

गायक कुञ्जबिहारी मिश्र केर महान् कृति मैथिली गायन कैसेट राम – विवाह जेकरा सब वर्ण आ वर्गक लोक हृदय सँ स्वीकार करैत मगन भऽ सुनैत अछि ताहि लेल मिथिलाक गौरव मार्तण्ड उपाधि सँ सम्मानित कएल गेलनि।
nagdah1-300x200
नागदहक दुइ सिद्धहस्त नाम एक स्वर्गीय डॉ प्रभाकर झा जे करीब २० वर्ष सँ बेसि धरि बनारस हिन्दू विश्वविद्यालयक फ्रेंच बिभाग केर बिभागाध्यक्ष रहलाह आर संगहि फिजी आ मेडागास्कर मे भारतक राजदूत सेहो रहलाह, जिनकर गत वर्ष दिल्ली मे स्वर्गारोहण भेल छलन्हि – तहिना दोसर नागदहक समाजसेवी आर कांग्रेसक वरिष्ठ कार्यकर्ता स्वर्गीय नृपेन्द्र झा प्रति सेहो संवेदना लेल एक मिनट केर मौन राखैत विशेष श्रद्धाञ्जली देल गेल छल।

तदोपरान्त महाकवि विद्यापति केर स्मृतिक क्रम मे विद्वत गोष्ठी आर ६ बजे साँझ सँ गद्य गोष्ठी, आर फेर ९ बजे राति सँ महेन्द्र मलंगिया जीक लिखल “छुतहा घैल” नाटकक मंचन कैल गेल। आइ एहि कार्यक्रम मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होयत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *