भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात व्यवस्था मन्त्री विलमेन्द्र निधि जनकपुर–जटही सडक खण्डक शिलान्यास कएलन्हि अछि । रविदिन एक कार्यक्रमके बीच जनकपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर २० देवपुरा रुपैठा स्थित जलाद पुलसँ उत्तर एक कार्यक्रमके बीच मन्त्री निधि सडकके शिलान्यास कएलन्हि अछि ।
वर्षौसँ जीर्ण रहल जनकपुर–जटही सडक खण्ड व्यापारिक मार्ग विस्तार आयोजना अन्तर्गत निर्माण होबए जा रहल अछि । जटही–जनकपुर– ढल्केबर सडक योजना अन्तर्गत कुल १३.७८ किलोमिटर लम्बाईक ई सडक खण्ड निर्माणक लेल १ अर्व २२ करोड ९७ लाख ५९ हजार ४७६ लागत अनुमान कएलगेलाक बादो निर्माण कम्पनी ३२ प्रतिशत कममे ठेक्का लेने आयोजना कार्यालय जनओलक अछि । दु चरणमे निर्माण होबएबला एहि सडक खण्डक निर्माणलेल निर्माण कम्पनी ८३ करोड ६२ लाख ८६ हजार ४१ रुपैयामे ठेक्का लेने अछि । सडक खण्डक गंगुली स्थि जलाद पुलसँ दक्षिण निर्माण करबाक टेन्डर लामा डाँफे ढुकुचु आ पुलसँ उत्तर लामा डाँफे गोल्डेन गुड नामक निर्माण कम्पनी सडक निर्माणक टेन्डर लेने जनाओलगेल अछि । दु वर्ष भितर निर्माण कार्य सम्पन करबाक लक्ष्य अनुसार दुनु निर्माण कम्पनीसँ यहाय महिनाक १४ आ १७ गते सम्झौता भऽ चुकल अछि ।
आयोजना अन्तर्गत सीमावर्ती जटही–नगराइन–गंगुली–जनकपुर उपमहानगरपालिकाक वार्ड नम्बर २० ( देवपुरा रुपैठा ) रामपुर–बसहिया–बिन्धी सोनामाई चौक–जनकपुर–महेन्द्रनगर–ढल्केबर सडक खण्ड निर्माण करबाक अछि ।
मुख्य ४ लेन तथा सर्विस लेन सहित कुल ६ लेनके निर्माण होबएबला ३० मिटर चौडा सडक खण्डमे ५.८२ किलोमिटर साइड ड्रेन ( फुटपाथ रेलिंग सहित ) , ३२ टा पाइप कल्भर्ट आ ४ टा स्लब कल्भर्ट निर्माण करबाक योजना रहल आयोजना प्रमुख राजेश दास जानकारी देलन्हि अछि ।
पहिल चरणमे जनकपुर–जटही सडक खण्ड आ दोसर चरणमे २६ किलोमिटर लम्बाईक जनकपुर–ढल्केबर सडक खण्ड निर्माण करबाक लक्ष्य राखलगेल अछि । जनकपुर–ढल्केबर सडक खण्ड सेहो डेडीकेटेड ४ लेन तथा सर्विस लेन सहित ६ लेनक निर्माण कएल जाएत जनाओलगेल अछि ।
रणनैतिक सडक खण्ड अन्तर्गत व्यापारिक मार्गके रुपमे विस्तार भऽ रहल एहि सडक खण्डक निर्माणके बाद जनकपुरक व्यापारिक दृष्टिकोणसँ विकासके पर्याप्त संभावना रहल बताओलगेल अछि । जटही नाकामे भन्सार कार्यालय स्थापनाके बाद शिलान्यास कएलगेल ६ लेनक एहि सडक खण्डक निर्माणके बाद पडोसी देश भारतसँ समान आयात करबामे जनकपुरक व्यापारीसभके सहज भऽ जएतैक स्थानीय व्यापारीसभ बतओलन्हि अछि । सडक निर्माण सम्पन्न भेलाक बाद जनकपुरक व्यापारी मात्र नहि नेपालक अन्य स्थानक व्यापारीसभकेँ सेहो भारतसँ समान आयात करबालेल एहि सडक खण्डक प्रयोग हएबाक संभावना रहलाक कारण जनकपुरक आर्थिक विकास निश्चित अछि हुनका सभक कहब छलन्हि ।
वर्षौसँ जीर्ण रहल जनकपुर–जटही सडक खण्ड निर्माणकलेल शिलान्यास भेलाक बाद जनकपुर सहित ओहि क्षेत्रक स्थानीयवासी हर्षित भेल छथि । सडक शिलान्यास कार्यक्रममे भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रायलयक सचिव तुलसि सिटौला, सडक विभागक मध्यमाञ्चल निर्देशक दयाकान्त झा, धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी कृष्णप्रसाद ढुंगाना, सडक डिभिजन कार्यालय जनकपुरक प्रमुख दिनेश अर्याल सहितक व्यक्तिसभक उपस्थिति छलन्हि।
