Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
मनोज तिवारी खोलताह बिहार मे स्पो‌र्ट्स अकादमी – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > खेल > मनोज तिवारी खोलताह बिहार मे स्पो‌र्ट्स अकादमी

मनोज तिवारी खोलताह बिहार मे स्पो‌र्ट्स अकादमी

पटना। भोजपुरी सिने स्टार व गायक मनोज तिवारी मृदुल बिहार मे स्पो‌र्ट्स अकादमी खोलए जा रहल छथि। मनोज तिवारी मृदुल कहला- ”बिहार चमक रहल बा। बिहार इज शाइनिंग।” ओ कहला जे बिहार क बारे मे काल्हि तक लोग कहैत छल जे बिहार नाहि सुधरी आ आइ वैह आदमी कहि रहल अछि जे बिहार नीक क रहल अछि, आगू बढि रहल अछि। मृदुल कहला जे बिहार आब बदलि रहल अछि त हर बिहारी कए एहि मे हिस्‍सेदार बनबाक चाही। इ सोचि कए हम अपन गाम कैमूर जिला क मोहनिया थाना अंतर्गत अतवलिया मे 100 बीघा जमीन कीनलहुं अछि। ओहि ठाम पीपीपी क तहत 60 बीघा मे एकटा किक्रेट स्टेडियम सहित स्पो‌र्ट्स अकादमी बनेबाक विचार अछि। बचल जमीन पर एकटा मंदिर निर्माण सेहो करेबाक इच्‍छा रखैत छी।

बिहार मे फिल्‍म सिटी पर अपन राय रखैत मनोज कहला जे राज्‍य सरकार कए पहिने क्षेत्रीय फिल्‍म कए प्रोत्‍साहित करबाक चाही। भोजपुरी, मैथिली आ मगही सहित अन्य क्षेत्रीय भाषा मे बनि रहल फिल्म निर्माण पर राज्य सरकार कए 25 प्रतिशत सब्सिडी देबाक चाही। उत्तर प्रदेश सरकार क्षेत्रीय भाषा मे बनि रहल सिनेमा पर सब्सिडी दैत अछि। ओ कहला जे भोजपुरी फिल्म आ गीत मे अश्लीलता क कोनो स्थान नहि अछि। एहि पर रोक लगबाक चाही। बिहार सरकार कए सेंसर बोर्ड क निर्माण करि फिल्‍म आ गीत मे अश्लीलता पर रोक लगेबाक पहल करबाक चाही। यूपीक भोजपुरी फिल्म स्टार रवि किशन स वैचारिक मतभेद क गप स्‍वीकार करैत ओ कहला जे भोजपुरी क स्तर कए उठेबा मे ओ मदद नहि क रहल छथि। ओ कहला जे भोजपुरी सिनेमा मे स्वच्छ प्रतिस्पद्र्धा क जरुरत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *