Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
मधेस आन्दोलनक चारू अन्तिम शहीद केर अन्तिम यात्रा – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > मधेस आन्दोलनक चारू अन्तिम शहीद केर अन्तिम यात्रा

मधेस आन्दोलनक चारू अन्तिम शहीद केर अन्तिम यात्रा

राजविराज, सप्तरी। नवम्बर २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

sahd
पैछला शनि दिन नेपाल प्रहरीक गोली व करेन्ट लागि मारल गेल मधेसी शहीद सबहक शव काल्हि बिपी कोइराला स्वास्थ्य संस्थान मे पोस्टमार्टम कैल गेल छल, आर आइ ओहि शहीद लोकनिक शव परिवार एवं आन्दोलनकारी मोर्चा द्वारा जिम्मा लेल गेल। चारू शब केँ करीब ११ बजे राजविराज मे आनल गेल छल, जतय एकटा श्रद्धांजली कार्यक्रम करैत मोर्चामे आबद्ध सब दलक अध्यक्ष लोकनि द्वारा अपन-अपन पार्टीक झंडा शहीदक लाश केँ ओढबैत सम्मान देल गेल छल। एहि अवसर पर सभाकेँ संबोधित करैत नेतृत्वकर्ता अत्यन्त आक्रोशित छलाह। ओ सब कहलैन जे राज्य द्वारा शान्तिपूर्ण आन्दोलन दमन करबाक लेल जेना बल प्रयोग कैल जा रहल अछि ताहि सँ जनाक्रोश आरो बढि रहल अछि आर समस्याक समाधानक बदला आरो बिगैड़ रहल अछि। शहीदक शहादत बेकार नहि जायत आर ई बल प्रयोग वर्तमान निरंकुश सरकार केँ महंग पड़त – श्रद्धांजली सभा केँ संबोधन करैत मोर्चाक नेता सब कहलैन।

राजविराज मे श्रद्धांजलि सभाक समापन उपरान्त सब शहीदक शव केर संग अन्तिम यात्रा लेल लहान धरिक नगर परिक्रमा सेहो कैल गेल। विदित हो जे चारि शहीद मे भारदह केर विरेन्द्र राम, रूपनीक नागेश्वर यादव, राजविराजक दिलीप साह तथा शिवशंकर दास छलाह। एहि अन्तिम यात्रा मे हजारोंक संख्या मे लोक सब पार्टीक झंडा सहित आन्दोलनक नारा लगबैत सहभागी भेल छल। शहीद सबहक शव परिवार व आन्दोलनकारी मोर्चा द्वारा तखनहि ग्रहण करबाक लेल स्वीकार कैल गेल जखन जिला प्रशासन द्वारा शहीद घोषणा करबाक संग क्षतिपूर्ति उपलब्ध करेबाक लिखित प्रतिवेदन गृह मंत्रालय केँ पठायल गेल छल। हिन्दू रीति मे मृतकक परिवार मे चूल्हा ताबत धरि नहि जरैत अछि जाबत धरि मृतकक अन्तिम संस्कार नहि कैल जाइछ। उपरोक्त शहीद सब मे दुइ शहीदक अबोध बालक आर तेकर दूध देनिहाइर ओकर निरीह-अबला-विधवा माय केर अवस्था देखैत बिना कोनो बेसी विवाद केँ शव एक सप्ताहक समय मे स्वीकार कैल जेबाक समाचार भेटल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *