Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
प्रदेश २ मे सर्वसम्मतिसँ शिक्षक संघक नेतृत्व चयन – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > समाचार > प्रदेश २ मे सर्वसम्मतिसँ शिक्षक संघक नेतृत्व चयन

प्रदेश २ मे सर्वसम्मतिसँ शिक्षक संघक नेतृत्व चयन

रोहित कुमार महतो,फागुन २३ जनकपुरधाम
नेपाली काँग्रेस शुभेच्छुक संस्था नेपाल शिक्षक संघ प्रदेश नम्बर २ मे सर्वसम्मतिसँ नेतृत्व चयन कएलक अछि । शिक्षक संघ एहिसँ पहिने अन्य ६ प्रदेशमे सेहो सर्वसम्मतिसँ नेतृत्व चयन कएने अछि । जनकपुरमे दु दिन धरि चलल नेपाल शिक्षक संघक पहिल अधिवेशन प्रदेश नम्बर २ क अध्यक्षमे मेघनाथ यादवके सर्वसम्मतसँ निर्वाचित कएलक अछि । यादव शिक्षक संघ धनुषा शाखाक दु कार्यकाल अध्यक्ष रहि चुकल छथि ।
तहिना रौतहटके राममंगल यादव वरिष्ठ उपाध्यक्ष आ सिरहाक सुधा चौधरी महिला उपाध्यक्ष, बारा जिल्लाक अवध किशोर गिरी आ सर्लाहीक भाग्यनारायण मिश्र उपाध्यक्षमे निर्वाचित भेल छथि ।
शिक्षक संघक प्रदेश नम्बर २ क महासचिव महोत्तरीके भेटल अछि । महासचिवमे महोत्तरी जिल्लाक रामकृष्ण मण्डल चयन भेल छथि । महासचिव अर्थ (महिला) तत्काल खाली राखलगेल अछि ।
उपमहासचिवमे पर्साक मोहनलाल प्रसाद कुर्मी, उपमहासचिव समावेशीमे सर्लाहीक रामअयोध्या प्रसाद सिंह आ उपमहासचिव समावेशीमे सर्लाहीक गणेश उप्रतीके चयन कएलगेल अछि । उपमहासचिव महिला खाली राखलगेल अछि । तहिना उपमहासचिव अर्थ तर्फ राजकुमारी सिंह निर्वाचित भेल छथि । एहिके संगहि महिला सदस्यमे गीता यादव, सुनिता कुमारी चौधरी, रोदन देवी यादव, रन्जना कुमारी सिंह निर्वाचित भेल छथि । तहिना अमरेश ठाकुर, गणेश यादव, सुरेश यादव सहित १४ गोटे सदस्यमे निर्वाचित भेल शिक्षक संघ जनओलक अछि ।
प्रदेश २ क शिक्षक संघक अध्यक्षमे निर्वाचित भेल यादव प्रदेश २ सहित देश भरिमे कार्यरत सम्पूर्ण शिक्षकसभक हकहितके लेल संघ हरसंभव प्रयास करत प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि । शिक्षसभ विभिन्न प्रकारक पेशागत समस्यासँ जुझि रहल बतबैत एहि तर्फ नेपाल शिक्षक संघ सचेत रहल ओ बतओलन्हि । अधिवेशनमे प्रदेश नम्बर २ क आठ जिल्लाक संघक अध्यक्षके संगहि प्रतिनिधिसभ सहभागी छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *