जनकपुरधाम, फागुन २५ ।
प्रदेश नम्बर २ क प्रदेशसभाके बैठक आई बैसए लागल अछि । बैठक दुपहर १ बजेके लेल तय कएलगेल प्रदेश संसद सचिवालय जनओलक अछि । आजुक प्रदेशसभाक बैठक कार्यसूची कार्य व्यवस्था परामर्श समितिके बैठक तय करबाक सचिवालय जनओलक अछि । प्रदेश सभाके सभामुख संयोजक रहल कार्य व्यवस्था परामर्श समितिके बैठक प्रदेशसभा बैठक आगा बैसबाक प्रदेश संसद सचिवालयके उपसचिव रंजितकुमार यादव जानकारी देलन्हि । आई बैसएबला प्रदेशसभाके बैठकमे प्रदेशसभा नियमावली सम्बन्धी विधेयक, आर्थिक कार्य्विधि विधेयक लगायत प्रवेश पएबाक बुझबामे आएल अछि ।