विराटनगर, फागुन २३ ।
प्रदेश १ क मुख्यमन्त्री शेरधन राई प्रदेश सरकार आ स्थानीय तह मिलकए काम कएलामे मात्र विकास हएबाक बतओलन्हि अछि । नेपाल नगरपालिका संघ प्रदेश १ के बैठकके सम्बोधन करैत मुख्यमन्त्री राई प्रदेश सरकार जल्दीये ऐन निमार्ण कऽ कऽ स्थानीय तहसँगक सहकार्यमे विकास निमार्णक कामके आगा वढएबाक बतओलन्हि ।
ओ प्रदेश सरकार स्थानीय तहसँग समन्वय कऽ कऽ जनताके देबएबला सेवाके प्रभावकारी बनएबाक दिस सेहो प्रदेश सरकारके ध्यान केन्दित्र हएबाक बतओलन्हि अछि ।
देश संघीयतामे गेल सँगहि प्रदेश सरकारके मुख्य एजेन्डा विकास आ आर्थिक समृद्धि भेलासँ ओहए अनुसार स्थानीय तह विकास निमार्णक योजनासभ बनाबए पडबाक मुख्यमन्त्री राईके कथन अछि ।

तीन तह मध्येके प्रदेश सरकार जनताके घरदलानसँग जोडल कहैत मुख्यमन्त्री राई प्रदेश सरकार जनताके भावनाके सम्वोधन हएबाक नीति तथा कार्यक्रम अनबाक तयारीमे जुटल जानकारी सेहो देलन्हि ।