Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
प्रणब दा कए धन्‍यवाद, आम लोक लेल खुलल राष्‍ट्रपति भवन – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > अन्य > प्रणब दा कए धन्‍यवाद, आम लोक लेल खुलल राष्‍ट्रपति भवन

प्रणब दा कए धन्‍यवाद, आम लोक लेल खुलल राष्‍ट्रपति भवन

नई दिल्‍ली । दुनियाक सबस पैघ राष्‍ट्राध्‍यक्ष निवास भारतक राष्‍ट्रपति भवन क आब आम आदमी सेहो अवलोकन क सकैत अछि । 340 कोठली क एहि भवन कए देखबाक इच्‍छा आब आम आदमी क सपना नहि रहल। राष्‍ट्रपति प्रणब मुखर्जी परिसर आ भवन कए आम लोक लेल खोलबाक आदेश देलथि अछि। आम लोक कए ओहि परिसर मे जेबाक पाबंदी हटा लेल गेल अछि । एक दिन मे करीब 700 पर्यटक राष्‍ट्रपति भवन कए देख सकताह । इ सुविधा एखन सप्‍ताह मे दू दिन उपलब्‍ध कराउल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व एकल एहि महलक मुगल उद्यान जन साधारण लेल प्रति वर्ष फरवरी माह क दौरान खुलैत छल ।

राष्‍ट्रपति बनलाक बाद प्रणब मुखर्जी एहि भवन क अवलोकनक क्रम मे इ महसूस केलथि जे देशक एहि धरोहर कए मात्र किछु खास लोक लेल नहि बल्कि समस्‍त विश्‍व क लोक लेल उपलब्‍ध कैल जाए । राष्‍ट्रपति भारत निर्माण आ अंग्रेजी शासनक पतन क एहि गवाह कए दुनिया क समक्ष प्रस्‍तुत करबा लेल पहल केलथि अछि जे एखन धरि सुरक्षा क नाम पर नुका राखल गेल छल । भवनक अवलोकन क्रम मे राष्‍ट्रपति इ देख सेहो चिंता प्रकट केलथि जे एहि भवन क कईटा एतिहासिक महत्‍वक कोठली गोदाम क रूप मे बदलि चुकल छल, जखन कि भवन क एकटा पैघ हिस्‍सा कई साल स उपयोग मे नहि आनल जा रहल छल । राष्‍ट्रपति भवन क सबटा हिस्‍सा क बैसी स बैसी उपयोग करबाक निर्देश देलथि अछि । एकर संगहि राष्‍ट्रपति एतिहासिक दरबार हॉल कए फेर स सुसज्जित करबाक निर्देश देलथि अछि। सूत्रक अनुसार राष्‍ट्रपति क इच्‍छा अछि जे आगू स अशोक हॉलक बदला मे दरबार हॉल मे मंत्री आ प्रधानमंत्री क शपथ ग्रहण समारोह क कार्यक्रम कैल जाए। ज्ञात हुए जे देशक प्रथम प्रधानमंत्री जवाहर लाल नेहरू 14 अगस्‍त क राति एहि दरबार हॉल मे शपथ लेने छलाह । मुदा बाद मे शपथ ग्रहण समारोह दरबार हॉलक बदला मे अशोक हॉल मे शुरू भ गेल, जे मुख्‍य रूप स नचबा लेल बनाउल गेल छल । तहिना राष्‍ट्रपति भवन क एतिहासिक कान्‍फेंस हॉल काफी दिन स पुरान सामान रखबा लेल प्रयोग कैल जा रहल छल । राष्‍ट्रपति एकर वर्तमान रूप देख काफी उग्र भेलाह आ कहला जे एहि हॉल कए आगे स राज्‍यपाल आ कुलपति संग हुनक बैसार लेल प्रयोग कैल जाए ।
news2

जानकारी क अनुसार राष्‍ट्रपति बनलाक बाद प्रणब जखन राष्‍ट्रपति भवन क अपन जिज्ञासा अधिकारी लग प्रकट केलथि त हुनका एक एक क सबटा कोठली क वर्तमान स्‍वरूप स अवगत कराउल गेल, एहि क्रम मे इ सेहो पता चलल जे राष्‍ट्रपति भवन स कईटा बहुमूल्‍य वस्‍तु गायब अछि। एहन मे ओ वस्‍तु क मात्र सूची बनेबा क निर्देशक संगहि राष्‍ट्रपति भवन कए आम जनता लेल खोलबाक सेहो निर्देश देलथि।

ज्ञात हुए जे राष्ट्रपति भवन भारत सरकार क राष्ट्रपति क सरकारी आवास क संगहि सेना क सर्वोच्‍च कमांडर क आवास सेहो अछि । सन 1950 तक एकरा वाइसरॉय हाउस कहल जाइत छल। तखन एहि ठाम तत्कालीन भारत क गवर्नर जनरल रहैत छलाह। इ नई दिल्ली क हृदय क्षेत्र मे स्थित अछि। एहि महल मे कुल 340टा कक्ष अछि आ इ विश्व मे कोनो राष्ट्राध्यक्ष क आवास स पैघ अछि। इ दू भाग मे विभक्‍त अछि। वर्तमान भारत क राष्ट्रपति, ओहि भाग मे नहि रहैत छथि जाहि भाग मे वाइसरॉय रहैत छलाह। अतिथि लेल बनल भाग मे एखन राष्‍ट्रपति रहैत छथि जान कि वाइसरॉल वाला भाग अतिथि लेल बना देल गेल अछि। भारत क प्रथम भारतीय गवर्नर जनरल सी राजगोपालाचार्य कए वाइसरॉय क शयन कक्ष एतबा आडंबर पूर्ण लागल छल जे ओ ओहि मे रहबा स इनकार क देने छलाह । बाद मे राजेंद्र बाबू समेत सबटा राष्‍ट्रपति राजगोपालाचारी वाला कोठली मे रहबाक परंपरा निभेलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *