Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
नीतीशजी-मोदीजी केर भेंटः मधेसी व बिहार विकासक बात – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > अन्तर्राष्ट्रिय > नीतीशजी-मोदीजी केर भेंटः मधेसी व बिहार विकासक बात

नीतीशजी-मोदीजी केर भेंटः मधेसी व बिहार विकासक बात

nitish-meets-modi (1)

हालहि संपन्न बिहार विधानसभा चुनाव मे भारी बहुमत सँ जीतैत अपन लोहा मनेनिहार मुख्य मंत्री नीतीश कुमार आइ पहिल बेर दिल्ली मे प्रधानमंत्री कार्यालय पहुँचला आर मोदीजी संग भेंटघांट केलैन।

दुइ नेताक बीच नेपाल मे विद्यमान् समस्या पर प्रथमतः चर्चा भेल। नीतीश कुमार सेहो विपक्षक भूमिका निभाबैत मधेसी नेता केँ बौंसबाक भार केन्द्र पर देलनि। विदित हो जे नेपाल मे नया संविधान जारी कैल गेल जाहि मे मधेसी केँ देल गेल अधिकार छीनल जेबाक आरोप लगबैत मधेसी नेता संविधानक प्रक्रिया सँ बाहर रहैत आइ करीब चारि मास सँ बन्द-हड़ताल आर नाकाबंदी केने छथि।

भारत संग मधेसक सीमा जुड़ल रहबाक कारण आर खुल्ला सीमाना होयबाक कारण भारतक चिन्ता सहजहि एहि दिशा मे रहैत छैक। स्रोत सँ पता चलल अछि जे नेपालक शासकवर्गीय नेता लोकनि नीतीश कुमार सँ बीच-बचाव करबाक अनौपचारिक तौर पर अनुरोध केलनि। बिहार केर विजीत नेता नीतीश केँ मोदीक प्रतिस्पर्धी मानैत नेपालक पहाड़े नेता सब खूब गुणगान करैत आयल छथि। तिनका ऊपर ई भार सौंपल गेल अछि जे विद्यमान परिस्थिति मे नरेन्द्र मोदी केँ नेपाल प्रति संधानल डेग मे बदलाव आनय मे सहयोग करैथ।

संगहि नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मोदीजी केँ हुनकहि द्वारा घोषित आर्थिक पैकेज केर निस्तारण लेल सेहो चर्चा केलनि। कहल जाएत अछि जे एहि पैकेज केर वितरण पर नीतीशजी द्वारा एकटा विशेष कार्यसमितिक गठन कैल जायत जे एहि विन्दु पर नजरि राखत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *