Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
धनुष भंग संपन्न, आइ होयत तिलकोत्सवः रामजानकी विवाह महोत्सव – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > धनुष भंग संपन्न, आइ होयत तिलकोत्सवः रामजानकी विवाह महोत्सव

धनुष भंग संपन्न, आइ होयत तिलकोत्सवः रामजानकी विवाह महोत्सव

धनुष यज्ञ सम्पन्न, आइ तिलकोत्सव होयत

परम पवित्र पावन नगरी जनकपुर मे मर्यादा पुरुषोत्तम भगवान् श्रीराम आर आदिशक्ति माँ जगदम्बा जानकी जीक आई (सोम दिन) तिलकोत्सव (तिलक) समारोह कैल जा रहल अछि।
dhanush-bhang-300x200
मिथिलाक ऐतिहासिक एवं धार्मिक नगरी जनकपुर मे नगर दर्शन सँ शुभारम्भ भेल विवाह पञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत सोम दिन श्रीराम मन्दिरक प्राङ्गण मे विशेष धुमधाम सँग तिलकोत्सव समारोह होयत से जानकारी प्राप्त भेल अछि।

समारोह मे कनियाँ पक्षक भूमिका जानकी मन्दिर करैत आयल अछि त वर पक्षक नेतृत्व राम मन्दिर करैत आबि रहल अछि। तिलकोत्सवक समारोहक सम्पुर्ण तयारी पूरा भऽ चुकल बात श्री महावीर यूवा कमिटीक अध्यक्ष धर्मेन्द्र साह जानकारी देलन्हि।

शुक्र दिन नगरदर्शन लऽ कऽ शुरु भेल विवाहपञ्चमी अन्तर्गत शनि दिन फूलबारी लीला आ रवि दिन धनुष यज्ञ सम्पन्न भऽ चुकल अछि। मिथिला मे जाहि प्रकारें बेटीक विवाहदान होइत आबि रहल अछि वैह पारम्परिक ढंग एवं वैदिक विधान सँ सब वैवाहिक कार्य एहि महोत्सव मे आयोजित होयत से जानकी मन्दिरक छोटे महन्थ राम रौशन दास वैष्णव जानकारी देलाह। तहिना काल्हि (मंगल दिन ) मटकोर, बुध दिन स्वयंवर, विवाह आ बृहस्पति दिन रामकलेवा (बिदाई) संग महोत्सव समापन कैल जायत ओ बतौलन्हि।

वैवाहिक कार्यक्रम मे देखवा लेल भारतक अयोध्या, मथुरा, लगायतक शहर सभ सँ बराती आबैत अछि। अहि बेर अयोध्या सँ करिब ३०० सय केर संख्या मे साधु-संत सभ बराती अयबाक जानकारी प्राप्त भेल अछि।

रामजानकी विवाहपञ्चमीक अवसर हुवयवला अपराधिक गतिविधि पर प्रशासन द्वारा सुरक्षा व्यवस्था कडा कैल गेल अछि। तहिना विवाहपञ्चमी अवधि भरि नगर परिक्रमा क्षेत्र भितर माँस, मदिराक बिक्री-वितरण ऊपर सशक्त रुप सँ निषेध लगायल गेल अछि।

एम्हर नेपालक नव संविधान मे अप्पन अधिकारक लेल आन्दोलनरत पक्षक द्वारा विवाहपञ्चमी लऽ कऽ बजार दुकान सभ खोलय देल गेल अछि।

जनकपुरक रंगभूमि मे आयोजना कैल स्वंयम्वर मे ३३ कोटि देवी-देवता सभक उपस्थिति रहैक से रामायण मे उल्लेखित अछि। ताहि प्रसंग केर प्रतीकात्मक प्रस्तुति देखौनाय विवाहपञ्चमीक विशेषता रहल अछि।

विवाहपञ्चमी महोत्सवक लेल जानकी मन्दिर आर विवाहमण्डप नवकनियाँ जकाँ सजायल-सिंगारल गेल अछि तऽ आधुनिक बिजुली बत्ती सभक झालैर आदि सँ सेहो भवनादिकेँ सजाओल गेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *