काठमाडौं, फाल्गुन २८ ।
त्रिभुवन अन्तराष्ट्रिय विमानस्थलमे यूएस बंगलाके विमान दुर्घटना भेल अछि । बंगलादेशके ढाकासँ काठमाण्डू आएल विमान अवतरणके क्रममे विमान दुर्घटना भेल अछि । विमानमे लागल आगि नियन्त्रणमे आएल अछि आ उद्दार कार्य जारी रहल अछि । १४ गोटेके उद्दार कऽ कऽ अस्पताल पठाओलगेल अछि । विमानमे चालक दलके सदस्यसहित ७१ गेटे रहल खुजल अछि । विमानस्थल प्रवक्ता प्रेमनाथ ठाकुरक अनुसार दुर्घटनामे परल विमानमे ६७ यात्रु आ चारि चालक दलक सदस्य कऽ कऽ ७१ गेटे छल ।