Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
गणेश युवा कमिटिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > गणेश युवा कमिटिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न

गणेश युवा कमिटिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न

IMG_20150614_124714

जनकपुर | जनकपुरक गणेश युवा कमिटिक नव कार्यसमितिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम  सम्पन्न भेल अछि । शनिदिन जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रमके बीच कमिटिक छठम कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्य पद तथा गोपनीयताक शपथ लेलन्हि अछि ।नेकपा एमाले नेता रघुविर महासेठक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे कमिटिक अध्यक्ष दिपक भगत नव निर्वाचित अध्यक्ष राजेश भण्डारीके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलथि ।

तहिना कमिटिक विधान एवम परम्परा अनुसार नव निर्वाचित अध्यक्ष भण्डारी अपन नव निर्वाचित कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्यसभके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलखिन्ह । दु वर्षक कार्यकाललेल गत वैशाख १४ गते कमिटिक नव कार्यसमितिके चयन सर्वसहमतिसँ कएलगेल छल ।

कमिटिक अध्यक्षमे भण्डारी, उपाध्यक्षमे विकेश पंजियार, महासचिवमे रंजन जयसवाल, सचिवमे भरतकुमार साह आ कोषाध्यक्षमे संजयकुमार साह निर्वाचित भेल छथि । तहिना दिलिप गुप्ता, नरेन्द्र विक्रम साह, गोविन्द भगत, मुन्ना नागवंशी, भरत महासेठ आ रवि शर्मा नव कार्यसमितिक सदस्यमे निर्वाचित भेल छथि । २०५५ सालमे स्थापना भेल गणेश युवा कमिटि विभिन्न समाजिक कार्य करैत आबि रहल अछि ।

कार्यक्रममे जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक अध्यक्ष शिवशंकर साह हिरा, समाजसेवी प्रकाशचन्द्र साह, सेभ द हिस्टोरिकल जनकपुरक अध्यक्ष रामअशिष यादव, जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक पूर्व अध्यक्ष निर्मल चौधरी, वाणिज्य संघक निवर्तमान महासचिव ललितकुमार साह सहितक व्यक्तिसभ सम्बोधन कएने छलथि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *