Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
खादी ग्रामोद्योग भवनक वर्षगाँठः मैथिली पोथी सेहो भेटत एतय – Century Times | Maithili Version
Tuesday, September 4, 2018
Home > राष्ट्रिय > खादी ग्रामोद्योग भवनक वर्षगाँठः मैथिली पोथी सेहो भेटत एतय

खादी ग्रामोद्योग भवनक वर्षगाँठः मैथिली पोथी सेहो भेटत एतय

khadi-gramodyog-darbhanga-300x200

सूक्ष्म एवं लघु उद्योग मंत्रालयक पहल पर दरभंगा मे खादी ग्रामोद्योग भवन केर निर्माण संपन्न भेल जेकर पहिल वर्षगाँठ काल्हि २८ दिसम्बर समारोहपूर्वक संपन्न भेल अछि।

एहि अवसर पर ‘मिथिला मे खादी आन्दोलन’ विषय पर एकटा गोष्ठीक आयोजन कैल गेल छल जाहिमे मुख्य अतिथि दरभंगा शहरी क्षेत्र केर विधायक एवं भाजपा नेता संजय सरावगीक उपस्थिति छल। एहि गोष्ठीक अध्यक्षता डा. भीमनाथ झा कएलनि तथा उद्घोषक अजित आजाद छलाह। संगहि विशिष्ट वक्ताक रूप मे डा. फूलचन्द्र मिश्र रमण, कमलाकान्त झा एवं डा. दिलीप कुमार झा सहभागी छलैथ। गायक अरविन्द मिश्र केर स्वागत गीत सँ अतिथि एवं सहभागी सभासद लोकनिक स्वागत कैल गेल छलन्हि।

मिथिला मे खादी ग्रामोद्योग कतेको परिवार लेल रोजी-रोटीक जोगार करबाक पृष्ठभूमि पर भरपूर चर्चा भेल। एकर पुनरुत्थान निमित्त कैल गेल भारत सरकारक प्रयास केर सेहो सराहना कैल गेल। विदित हो जे एहि उद्योग केँ फलित-फूलित करबाक लेल स्वयं राष्ट्रपिता महात्मा गाँधी नित्य चर्खा चलबैत छलाह आर अपन आश्रम मे हरेक अनुगामी सहयात्री लोकनिकेँ सेहो एहि लेल प्रेरित करैत छलाह। मिथिलाक घर-घर मे चर्खा चलायल जाएत छल आर अपना योग्य कपड़ाक इन्तजाम सँ लऽकय आर्थिक आमदनीक स्रोतकेर रूप मे सेहो एकर उपयोगिता देखल जाएत रहल।

वर्तमान आर्थिक युग मे कम्मे मे संतोष करबाक धैर्य बहुत कम परिवार मे रहि जेबाक कारण लोक परदेश पलायन करब बेसी पसिन करैत अछि ताहि सँ एहि उद्योग पर मंदी आबि गेल। लेकिन वर्तमान केन्द्र सरकार केर नीति मे स्वाबलंबी जनता आर ‘मेक इन इंडिया’ केर प्रवर्धन मे स्वयं द्वारा उत्पादकत्व केँ बढायब समान महत्वपूर्ण सिद्धान्तक अनुसरण करैत खादी ग्रामोद्योग केँ पुनर्जिवित करब एक नीक डेग बुझा रहल अछि।

आजुक एहि गोष्ठीक समापन पर आयोजनकर्ता अधिकारी द्वारा एहि भवन मे मैथिली साहित्य केर बिक्री केन्द्र रखबाक घोषणा कैल गेल जाहि सँ मैथिली पोथी दरिभंगो मे भेटब आसान बनि जायत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *