Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
कांग्रेसमे देउवा बनलथि आओर शक्तिशाली – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राजनीति > कांग्रेसमे देउवा बनलथि आओर शक्तिशाली

कांग्रेसमे देउवा बनलथि आओर शक्तिशाली

२१ फागुन, काठमाण्डू
कांग्रेसमे नेतृत्व परिर्वतनके मांग भऽ रहल समय पार्टी सभापति शेरबहादुर देउवा भारी मतके साथ संसदीय दलके नेतामे निर्वाचित भेल छथि । एहिसँ देउवा आओर मजबुत बनल छथि तऽ नेतृत्व परिर्वतन पक्षधरके धक्का लागल अछि । दलक चुनावमे देउवाके पूर्वमहामन्त्री प्रकाशमान सिंह चुनौती देने छथि ।
दलक नेता देउवा बनबाक प्रष्ट छल मुदा, सिंहके कतेक मत भेटत विषयके अर्थपूर्ण मानलगेल छल । प्रतिनिधिसभाक ६३ सांसदमेसँ ४४ गोटे देउवाके भोट देलन्हि तऽ सिंह १९ मत प्राप्त कएने छथि । दलक चुनावमे देउवा रामचन्द्र पौडेल समूहक सांसदसभके सेहो अपन पक्षमे करबामे सफल देखलगेल नेतासभ बतओलन्हि अछि ।
एहिसँ देउवाके आओर मजबुत बनओने अछि । देउवा निकट सांसद मीन विश्वकर्मा कहलन्हि , ‘नेतृत्व परिर्वतनके बात बाहर जतेक भेलाक बादो हुनकासभके संगठनमे पकड नहि छल आ पार्टीमे एखनो देउवाके नेतृत्व आवश्यक रहल सन्देश देलक अछि ।’ देउवा विरुद्ध सिंहके उम्मेदवार बनओने समय पौडेल समूह १९ सँ २७ भोटके हिसाब निकालने छल ।
पौडेल समूहक १९, कृष्ण सिटौला समूहक तीन आ खुमबहादुर खड्का समूहक ५ सांसद अछि । देउवा समूहमे सेहो किछु गोटे असन्तुष्ट छलथि । मुदा, सिंह मात्र १९ मत प्राप्त कएलन्हि । सिटौला समूहक तीन सांसदमेसँ गगन थापा खुलि कऽ प्रकाशमान सिंहके पक्षमे छलथि । भीमसेनदास प्रधान प्रकाशमान सिंहके भोट नहि देलथि तऽ उमाकान्त चौधरीके अन्तिम समय धरि सिंहक पक्षमे लाबएके प्रयास भेल छल । पौडेल समूहक एक नेताके अनुसार पराजित निश्चित भेलाक बादो सिंह प्राप्त कएने मत कम अछि । पौडेल समूहमे रहल किछु नेतासभ देउवाके भोट देने बुझबामे आएल अछि ।
पछिला समय मिनेन्द्र रिजाल देउवासँग नजदिक भेल छथि । हुनका प्रमुख सचेतक बनएबाक देउवाके तैयारी अछि । एक समय देउवा निकट रहल ओ सुशील कोइरालाके समयमे एम्हर आएल छलथि । १३ अम महाधिवेशनमे सेहो पौडेल समूहमे छलथि । तहिना पौडेल समूहक नारायण खड्का, प्रमोद यादव सहित सेहो देउवाके भोट देने अनुमान कएलगेल अछि । प्रकाशमान सिंह निकटवर्तीसभ महामन्त्री शशांक कोइराला सेहो शंकाके घेरामे रहल बतबैत छथि । पौडेल समूहसँ महामन्त्री जितलाक बादो हुनका उपर सभापति देउवासँग मिलल आरोप लगैत आएल अछि ।
चुनावक बाद कांग्रेसमे नेतृत्व परिर्वतनके मांग कएलाक बादो कोइराला किछु नहि बाजल छथि ।
दलक नेताके चुनावमे सेहो ओ प्रकाशमानके खुलि कऽ समर्थन कएने नहि देखलगेल एक सांसद बतओलन्हि । महामन्त्री कोइराला निकट नेतासभ सेहो दलक नेतो दावा नहि करब आ अपन समुहमे अविश्वास बढ्लासँ पार्टी नेतृत्वमे हुनकर दावेदारीके कमजोर बनएबाक विशलेषण कएने छथि ।
दलक नेतामे पार्टी सभापति देउवा चयन भेलाक बाद केन्द्रीय सदस्य चन्द्र भण्डारी कडा टिप्पणी कएलन्हि अछि । एहिबीच संसदीय दलक नेता चयन भेलसंगहि देउवा विजयकुमार गच्छदारके उपनेता बनाओल गेल अछि ।
कांग्रेस छोडि कऽ फोरम होइत फोरम लोकतान्त्रिक बनओने गच्छदार चुनावसँ आगा कांग्रेसमे घुरल छलथि । हुनका सहादबहार मन्त्रीके रुपेँ सेहो चिन्हल जाइत अछि । जनतामे लोकप्रिय छवि बनाबए नहि सकल गच्छदारके उपनेता बना कऽ देउवा नेतृत्व परिर्वतनके मांग सुनए लेल सेहो तैयार नहि रहल सन्देश देलन्हि अछि ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *