जनकपुरधाम । भगवान रामक विवाहोत्सवके रुपमे हरेक वर्ष जनकपुरमे मनाओल जाएबला विवाहपंचमी सफलता सम्पन्न करबालेल जानकी मन्दिरक महन्त रामतपेश्वर दास वैष्णव मधेशी मोर्चा लगायतके आन्दोलनकारीसभसँ आग्रह केलन्हि अछि ।
शनिदिन जनकपुरक जानकी मन्दिरक प्रांगणमे राजनीतिक दल, नागरिक समाज, बुद्धिजीवी तथा यूवा क्लबसभसंगे संवादमे ओ एहि तरहक बात रखने छलथि । मुदा मधेशी मोर्चा तर्फसँ सम्बोधन करैत तमलोपा धनुषाके अध्यक्ष परमेश्वर साह मधेशमे आन्दोलन जारी रहलाक कारणे एहि बेर शान्तिपूर्णरुपमे बन्दके समर्थन सहित भव्यता साथ विवाहपञ्चमी करबालेल ओ अनुरोध केने छलन्हि ।
ओ मधेश आन्दोलनक क्रममे एखनधरि पुलिससभ मधेशीके माथ पर गोली मारि हत्या कऽ रहल आरोप लगबैत ओ कहलन्हि जे एहि बेर परम्परागतरुपमे मनबैत आवि रहल विवाहपचमी सामान्य रुपमे मनेबालेल ओ स्पष्ट केलन्हि अछि ।
एहि अन्तरक्रिया कार्यक्रममे जनकपुर यातायात व्यवसायी संघके अध्यक्ष मनोज चौधरी ईन्धन अभावके कारणे यातायात संचालन पर सेहो समस्या रहल कहैत कहलन्हि जे एहि बेर यातायात संचालन पर समस्या हएत बतओलन्हि अछि ।
एहि कार्यक्रममे जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघके पूर्व अध्यक्ष श्याम साह, उमेश कुमार मण्डल, ई.प्रकाशचन्द्र साह, सन्त चन्द्रभुषण मिश्रा आ संयूक्त यूवा संघर्ष समितिके संयोजक धर्मेन्द्र साह, किशोरी साह लगायतसभ अपन अपन सुझाव रखने छलथि ।
एम्हर राम यूवा कमिटीके अध्यक्ष समेत रहल संयोजक धर्मेन्द्र साह विवाहपञ्चमीमे होबएवला तिलकोत्सवके तयारी सम्पन्न भऽ चुकल जानकारी करओलन्हि अछि ।
