Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
एवरेस्टक बाद एकांकागु आ पर तिरंगा फहरेता मिथिलाक राजीव – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > सम्पादकीय > एवरेस्टक बाद एकांकागु आ पर तिरंगा फहरेता मिथिलाक राजीव

एवरेस्टक बाद एकांकागु आ पर तिरंगा फहरेता मिथिलाक राजीव

दरभंगा : विश्वक सबसं ऊंच पर्वत चोटी माउंट एवरेस्ट पर तिरंगा फहरौनिहार मिथिलाक राजीव सौमित्र आब दक्षिण अमेरिकाक सर्वोच्च चोटी एकांकागुआ पर डेग रखता। जिलाक बहादुरपुरक जोगिया पतोरक निवासी राजीव सौमित्र एहि बरखक अप्पन चारिम पर्वतारोहण अभियान शुरू करबाक लेल रवि केँ आर्जेंटिनाक मिंडोजा शहर पहुंचि गेल छथि। समुद्र तलसं 6962 मीटरक ऊंचाई पर स्थित एकांकागुआ दुनियाक ‘सात सर्वोच्च शिखर’ मं सऽ एक अछि। पछिला 22 मई केँ माउंट एवरेस्ट (8848 मीटर, नेपाल) पर सफलता पूर्वक चढ़बाक बाद राजीव सौमित्र ‘सात सर्वोच्च शिखर’ पर तिरंगा फहरेबाक घोषणाक केने छलथि। राजीव 5 अगस्त केँ यूरोप (रूसक) सबसं ऊंच पर्वत चोटी माउंट एलब्रश (5642 मीटर) पर आ 21 सितंबर केँ अफ्रीकाक सर्वोच्च चोटी किलिमंजारो (5950 मीटर, तंजानिया) पर तिरंगा फहरौलनि। विश्वक सबसं पैघ पर्वत श्रृंखला एंडिजक एकांकागुआ चोटी एकटा मृत ज्वालामुखी पहाड़ पर अछि। एकांकागुआ अभियानक दौरान मौसममे नाटकीय परिवर्तन होइत अछि आ सब बरख खराब मौसम आ चोटसं पर्वतारोहीक मृत्यु होइत अछि। राजीव 27 दिसंबरक देर राइत नई दिल्लीसं बिदा भेला। एम्सटर्डम आ सेंटियाओ होइत ओ रविक सांझ मिंडोजा पहुंचला। मिंडोजामे पर्वतारोहीक एकटा संस्था एवरेस्ट विजयक उपलक्ष्यमे राजीव सौमित्रक सम्मान करत। एहि अवसर पर ओ पर्वतारोहीक संबोधित करता। मुजफ्फरपुरक आरडीएस कॉलेजसं भूगोलमे स्नातक करनिहार राजीव सात सर्वोच्च शिखर पर तिरंगा फहरेबाक लक्ष्य पूरा करय चाहैत छथि। नई दिल्लीक पारामाउंट कोचिंग ग्रूपक निदेशक राजीव सौमित्र घोषणा कएने छथि आ ओ वर्ल्ड रिकार्ड बनेबाक लेल मुजफ्फरपुर आ दरभंगाक कोनो नेत्रहीन लड़की केँ अप्पन खर्च पर एवरेस्ट अभियान पर पठाबय चाहैत छथि। एकरा लेल ओ नि:शुल्क ट्रेनिंग केर व्यवस्था करता।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *