जनकपुरधाम, चैत २८ ।
प्रदेश २ क सरकार आगामी आर्थिक वर्षके लेल निर्धारण कएने नीति तथा कार्यक्रम आई प्रदेशसभामे प्रस्तुत करबाक तैयारी कएने अछि । प्रदेश प्रमुख रत्नेश्वरलाल कायस्त प्रदेशसभाकेँ सम्बोधन करैत नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करताह बताओलगेल अछि । नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करबालेल आई १ बजे प्रदेशसभा बैठक बजाओलगेल अछि । प्रदेश प्रमुख कायस्तद्धारा नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करबालेल सम्पूर्ण तैयारी पुरा भऽ चुकल प्रदेशसभा सचिवालय जनओलक अछि । एहिसँ पहिने प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत सोमदिन साँझ आर्थिक वर्ष २०७४÷७५ क नीति तथा कार्यक्रम प्रदेश प्रमुख कायस्त समक्ष बुझओने रहथि । तहिना प्रदेश सरकार सोमेदिन प्रदेशसभा सचिवालयके सेहो नीति तथा कार्यक्रम बुझा चुकल अछि ।
प्रदेशसभा सचिवालयक सहसचिव रञ्चित यादव सरकारद्धारा तैयार कएलगेल नीति तथा कार्यक्रम बुधदिन प्रदेशसभा बैठकमे प्रदेश प्रमुख सार्वजनिक करताह जानकारी देलन्हि । प्रदेश प्रमुखद्धारा प्रस्तुत नीति तथा कार्यक्रम प्रदेशसभामे टेबुल भेलाकबाद संशोधन करबाक समय देल जाएत आ तकरबाद चर्चा शुरु होएत ।
प्रदेश सरकार आगामी आर्थिक वर्षक बजेट वैशाख महिनामे लएबाक तैयारी कएने अछि । चैत महिनामे बजेट आओत कहलगेलाक बादो तैयारीके अभावमे वैशाख महिनामे मात्र बजेट आनल जाएत प्रदेश २ क अर्थमन्त्री विजय यादव बतओलन्हि । प्रदेशसभामे प्रस्तुत होबएबला नीति तथा कार्यक्रम उपर बहस समाप्त भेलाक बाद बजेट लएबाक तैयारी रहल हुनकर कहब छलन्हि । संघीय सरकारसँ प्राप्त होबएबला अनुदानके आधार पर प्रदेश सरकारके बजेट लएबाक तैयारी अछि । आगामी आर्थिक वर्षक बजेटमे मन्त्रालय व्यवस्थापन, पूर्वाधार निर्माण, दरम्हा, ऐनकानुन सहितक विषय समावेश करबाक सरकारक तैयारी अछि । प्रदेश सरकार हालहि गठन भेलाक कारण एहि वर्ष तर्फ अधिक खर्च हएबाक संभावना देखलगेल मन्त्री यादव कहलन्हि,‘चालु तर्फ बँचल बजेट पूँजीगत तर्फ खर्च करबाक योजना अछि ।’ तहिना विपत्त व्यवस्थापनमे सेहो पैघ रकम विनियोजन करबाक वाध्यता रहलाक कारण विकास तर्फ न्यून बजेट विनियोजन करबाक ओ संकेत देलन्हि ।