Strict Standards: call_user_func_array() expects parameter 1 to be a valid callback, non-static method ct_jquery_3level_accordion_menu::header() should not be called statically in /home/centimes/public_html/maithili/wp-includes/class-wp-hook.php on line 298
अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन मुंबई केर तैयारी भेल पूरा – Century Times | Maithili Version
Monday, September 3, 2018
Home > राष्ट्रिय > अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन मुंबई केर तैयारी भेल पूरा

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन मुंबई केर तैयारी भेल पूरा

ams-mumbai4

आगामी दिसम्बर २२ आर २३ केँ मुंबई केर उपनगर विरार केर जीवदानी माता मैदान मे १२म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन कैल जायत जाहिमे अतिथिक तौर पर महाराष्ट्र केर मुख्यमंत्री देवेन्द्र फड़णवीस केर संग-संग गुजरात व बिहार केर मुख्यमंत्री क्रमशः आनन्दी बेन पटेल व नीतीश कुमार आ विभिन्न राज्य केर राज्यपाल एवं कतेको रास केन्द्रीय मंत्री लोकनि केँ आमंत्रित कैल गेलनि अछि।

विदित हो जे मिथिला प्राचीनकाल सँ संस्कृति संपन्न क्षेत्र रहल अछि। आइयो एहि प्रांत केर लौकिक व्यवहार मे शास्त्रोक्त निर्देश स्पष्ट रूप सँ देखल जा सकैत अछि। एहि ठामक भाषा ‘मैथिली’ साहित्य एवं प्रमाणिक व्याकरण सँ परिपूर्ण अछि। अनेको दशक केर प्रयासक उपरांत २२ दिसम्बर २००३ केँ तत्कालीन प्रधानमंत्री सम्माननीय अटल बिहारी वाजपेयी द्वारा मैथिली भाषा केँ संविधानक अष्टम् अनुसूची मे स्थान देल गेल, तहिये सँ एहि उपलक्ष्य मे यैह तिथिकेँ हरेक वर्ष मैथिली अधिकार दिवस केर रूप मे “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन” केर आयोजन कैल जाएत रहल अछि। मुंबई मे दोसर बेर ई आयोजन होयत जाहि मे विश्व भरिक मैथिल, कलाकार, पत्रकार, कवि, फिल्मकार आर मिथिला सँ जुड़ल साहित्यकार लोकनिक एहि भव्य कार्यक्रम मे सहभागी बनबाक संभावना अछि।

आयोजक समिति द्वारा जारी विज्ञप्ति व मिडिया प्रभारी अजय चौधरीक देल जानकारी अनुसार उपरोक्त समाचार भेटल अछि। अहाँ केँ बता दी जे विरार मे आयोजित होमयवला एहि सम्मेलनक आयोजक महाराष्ट्र मैथिल समाज अछि, जाहि मे स्वागताध्यक्ष बहुजन विकास अघाडी केर मुखिया जितेन्द्र ठाकुर, कार्याध्यक्ष प्रसिद्ध समाजसेवक व मिथिला गौरव कमल झा, अध्यक्ष रविन्द्र झा, सचिव धनंजय झा, संरक्षक एस. सी. मिश्रा, प्रो. कृष्ण कुमार झा ‘अन्वेषक’, तथा धर्मानंद झा ‘गुरुजी’ छथि। तहिना कोषाध्यक्ष श्यामनंद, विनीत चौधरी मिडिया प्रभारी अजय चौधरी व प्रवक्ता कृष्ण कुमार झा, उपाध्यक्ष पंकज झा, देवेन्द्र झा, रवि मंडल, अनुप झा आर महासचिव दीपक झा छथि। पैछला दुइ माह सँ एहि भव्य सम्मेलन केँ सफल बनेबाक लेल महाराष्ट्र मैथिल समाजक कोर कमिटी सदस्य लोकनि ऐंड़ी-चोटी एक केने छथि।

कार्यक्रम मे बिहारक नवनिर्वाचित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो भाग लेता एहेन अंदाज कैल जा रहल अछि।

आगामी दिसम्बर माह मे आयोजन होमयवला “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन” केर बारे मे जानकारी दैत कमिटीक कार्याध्यक्ष कमल झा कहलनि जे एहि बेर ई सम्मेलन ऐतिहासिक होयत जेकर तैयारी करीब-करीब पूरा भऽ गेल अछि। एहि आयोजन मे लोक नेता हितेन्द्र ठाकुर केर भरपूर सहयोग प्राप्त भऽ रहल अछि। श्री झा आगाँ जानकारी दैत कहलनि जे दुइ-दिवसीय एहि कार्यक्रम मे पहिल दिन वसई-विरार शहर महानगरपालिका मुख्यालय सँ जीवदानी माता मैदान केर कार्यक्रम स्थल धरि शोभायात्रा निकालल जायत, जाहिमे हजारो मिथिलावासी अपन पारंपरिक भेष-भुषा मे सहभागिता देता, संगहि १०१ पंडित लोकनि द्वारा रूद्र अष्टाध्यायी पाठ केर आयोजन कैल जायत, तदोपरान्त ३ बजे सँ प्रसिद्ध कलाकार लोकनि द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम कैल जायत। तहिना कवि सम्मेलन मे नामी-गिरामी कवि लोकनिक कविता पाठ केर आनन्द सेहो सहभागी प्रतिनिधि व श्रोताकेँ भेटतनि। दोसर दिन समाजसेवा, शिक्षा, स्वास्थ्य व ब्यापार केर क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान कएनिहार व्यक्तित्व सब केँ मिथिला रत्न तथा मिथिला विभूति सम्मान सेहो हस्तान्तरण कैल जायत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *