एजेन्सी
काठमाण्डू, फागुन २४ ।
भारतीय अन्डरवर्ल्डक डन दाउद इब्राहिके निकट सहयोगी फारुक टकला दुबईसँ नियन्त्रणमे आएल अछि । आ, ओकरा बृह्सपतिदिन एयर इन्डियाके फ्लाइटसँ मुम्बई अनने अछि । टकलाके आई विशेष टाडा अदालतमे उपस्थित करएबाक तयारी कएलगेल भारतीय सञ्चारमाध्यमसभ उल्लेख कएने अछि । ओकरा विरुद्ध अन्तराष्ट्रिय प्रहरी संगठन इन्टरपोलमे सन् १९९५ मे रेड कर्नर नोटिस जारी भेल छल ।
सन् १९९३ के मार्च महिनामे मुम्बईमे भेल श्रृङ्खलाबद्ध १२ बम विष्फोटक घटनामे ओ संलग्न भेल खुजल छल । ओहिकेबाद फरार रहल ओ २५ वर्षबाद नियन्त्रणमे आएल अछि । विष्फोटमे २ सय ५७ गोटेके मृत्यु भेल छल त ७ सय सँ अधिक गोटे घायल भेल छल । याह घटनामे मुम्बई हमलाके मास्टरमाइन्ड टाइगर मेमनके भाई याकुब मेमनके सन् २०१५ मे फाँसी देलगेल छल । अन्डरवर्ल्डके डन दाउद इब्राहिम सेहो १९९३ सँ फरार रहल अछि । ओ लम्बा समयसँ पाकिस्तानमे रहल सञ्चारमाध्यमसभ उल्लेख करैत आएल अछि ।